ऑनलाइन मैथिली प्रशिक्षण
"सखी-बहिनपा" समूह द्वारा तीन मासक एकटा निःशुल्क ऑनलाइन मैथिली प्रशिक्षण के शुरुआत भेल अछि।प्रशिक्षण पश्चात सर्टिफिकेट सेहो प्रदान कयल जायत। अहि पाठ्यक्रमके निर्देशक अरुणाभ सौरभजी(असिस्टेंट प्रोफेसर,एनसीईआरटी) छथि। बहुत बहुत आभार अरुणाभ जीकेँ।गूगल मीट पर हमर सभक इ कक्षा चलैत अछि। अपन मैथिली के प्रचार-प्रसार,विकासक लेल उठाओल गेल डेगमे सँ एकटा निस्सन डेग अछि इ।
50 टा सँ बेसी शिक्षार्थी सखी केँ विशिष्ट टीमक सहयोगसँ प्रशिक्षित कयल जा रहल अछि।अखन त' बस शुरुआत अछि....इ अहिना बढ़ैत रहत।
अशोक मेहता सर,भीमनाथ सरकेँ सुनबाक अवसर तथा आगुओ बहुत रास विद्वान लोकनि के मार्गदर्शन भेटल आ आगुओ भेटैत रहत तकर पूर्ण विश्वास। विभूति आनंद सर,भीमनाथ सर,कथाकार अशोक सर,रामानंद झा रमण सरकेँ शुभकामना सँ शुरू भेल अहि यात्रामे आर बहुत गोटा छथि जिनका बारेमे आगू जानकारी करबैत रहब।डॉ अखिलेश झाजी, देवेंद्र मिश्र सर(राजविराज),अजीत आजाद जी,कमलानंद सर सभक सहयोग स्मरणीय रहत।
अनंत आभार प्रशिक्षकक विशिष्ट टीमकेँ।दीप नारायण विद्यार्थी जी,अमित मिश्रा जी,विभा कुमारी जी,चंदन जीके बहुत महत्वपूर्ण भूमिका अछि अहिमे।




